अमुआं मजरि महु तूबल सजनी गे / पाबनि गीत मैथिली
अमुआं मजरि महु तूबल सजनी गे
सुन मोर सजनी, कुसुम लेल पतझार
अही बाटे औता महादेव सजनी गे
सुन मोर सजनी, बहि गेल चाननक धार
चानन छिलकि पाग पड़ल सजनी गे
सुन मोर सजनी जुगे-जुग जीवथु फल्लांक पुत्र
सुन मोर सजनी, जुगे जुग जीबथु महादेव
अही बाटे औती गौरीदाइ सजनी गे
सुन मोर सजनी, बहि गेल सिनूरक धार
सिनूर छिलकि सींथ पड़ल सजनी गे
सुन मोर सजनी, जुगे जुग बढ़नु अहिबात
अमुआं मजरि महु तूबल सजनी गे
सुन मोर सजनी, कुसुम लेल पतझार
आजु ई पाबनि बालमु संग पूजब / पाबनि गीत मैथिली
आजु ई पाबनि बालमु संग पूजब
नहि एला बालम हमार हे
सासु निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि भार पठाय हे
दिआदिनि निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि गौर बनाय हे
ननदो निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि साजी सजाय हे
लालहि वन हम जायब / पाबनि गीत मैथिली
लालहि वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे सिन्दुर भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
पीयर वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे सोनहि भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
हरियर वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे बेलपत्र भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
कारी वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे काजर भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
उज्जर वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे शांखहि भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
पाँचो वन हम जायब, फूल लोढ़ब हे
माइ हे पाँचो भरल सोहाग
बलमु संग गौरी पूजब हे
बाबा यौ पाबनि मोर लग आयल / पाबनि गीत मैथिली
बाबा यौ पाबनि मोर लग आयल
प्रभुजी नहिए एलखिन ना
बाबा यौ साओन भादव के नदिया उमड़ल
प्रभुजी कोना कऽ औथिन ना
बेटी हे भेजबइ सोना के घोड़बा
कि प्रभुजी चढ़िकऽ औथिन ना
बाबा यौ पाबनि मोर लग आयल
प्रभुजी नहिए एलखिन ना
पहिरि ओढ़िए कनियां सुहबे / पाबनि गीत मैथिली
पहिरि ओढ़िए कनियां सुहबे पाबनि पूजऽ बैसली हे
हे शुभ पावनि दिन मे
लच-लच लचकै हुनकर डाँड़
हे शुभ पाबनि दिन मे
घोड़बा चढ़ल अबथिन दुलहा रसिलबा
हे शुभ पाबनि दिन मे
किये सुहबे लचके तोहर डाँड़
हे शुभ पाबनि दिन मे
आजु सुदिन दिन पाबनि छै
हे शुभ पाबनि दिन मे
ससुरा सौं औतै भरिया भार
हे शुभ पाबनि दिन मे
भार जे औतह धनि घर कय धरिहऽ
हे शुभ पाबनि दिन मे
भरिया के करिहऽ बिदाइ
हे शुभ पाबनि दिन मे
आयल सखि हे परम सोहाओन / पाबनि गीत मैथिली
आयल सखि हे परम सोहाओन
साओन के महिनमा
मधुश्रावणी पाबनि आयल
सीता राम मिलनमा
भरि-भरि डाला फूल लोढ़ब
माला गाँथब प्रेम सँ
माँ बिसहराकेँ आबि चढ़यबनि
पूजा करब अड़हल सँ
लाबा दूध देबनि छिड़ियाइ
दीप जरय अहिबात केर
जुग-जुग सोहागिन रहथु पबनैतिन
जीबथु दुलहा ललनमा
आयल सखि हे सर्वसोहाओन
साओन के महिनमा
आयल हे सखि सर्व सोहाओन / पाबनि गीत मैथिली
आयल हे सखि सर्व सोहाओन
साओन केर महिनमा
ठाँओं कयलहुँ अरिपन देलहुँ
लीखल नाग-नगिनियाँ
फूल लोढ़लहुँ पाती अनलहुँ
पूजू नाग-नगिनियाँ
लाबा भुजलहुँ दूधो अनलहुँ
खाथु नाग-नगिनियाँ
आयल हे अलि सर्वसोहाओन
साओन केर महिनमा
आजु जनकपुर मंगल सखि सभ गाबथि हे / पाबनि गीत मैथिली
आजु जनकपुर मंगल सखि सभ गाबथि हे
शुभ दिन पाबनि आजु हेतिन सिया दाइक हे
करतल धय पान जुगुति संओ मूनब
सीता दाइ केर नयना श्री राम हे
भालरि जकाँ सीता दाइ थर-थर कांपथि
टेमी देल हरखित श्री राम हे
श्रीखण्ड चाननक लेप कय देल
धन्य छथि विधिकरी सुजान हे
प्रिय रघुवर नयना कसिकऽ धरू / पाबनि गीत मैथिली
प्रिय रघुवर नयना कसिकऽ धरू
काँपनि सिया केर गात
श्रीखण्ड चानन घसिकऽ धरू
पानक पात लए आँखि मुनाओल
शुभ घड़ी टेमी लेसि कऽ धरू
ई अवसर नहि लाजक बेर थिक
अपन हाथ सक्कत करू
प्रिय पाहुन नयना कसिकऽ धरू
नहु-नुह धर सखि बाती
धरकय कोमल छाती
नहु-नहु पान पसारह
नहु-नहु दुहु दृग झाँपह
मधुर-मधुर उठ दाहे
मधुर-मधुर अवगाहे
कुमर करह विधि आजे
मधुश्रावणी भल काजे
जेठ मास अमावस सजनी गे / पाबनि गीत मैथिली
जेठ मास अमावस सजनी गे
सभ धनी मंगल गाउ
भूषण वसन जतन कऽ सजनी गे
रचि-रचि अंग लगाउ
काजर-रेख सिनुर भल सजनी गे
पहिरथु सुबुधि सेयानि
हरखित चलल अछयबट सजनी गे
गाबति मंगल गान
घर-घर नारि हकारल सजनी गे
आदरसँ संग गेलि
आइ छिऐ बरिसति सजनी गे
तेँ आकुल सभ भेलि
घुमि-घुमि अछिंजल ढ़ारल सजनी गे
बांटल अछत सुपारि
फतुरी आसिस देल सजनी गे
जीबथु दुलहा-दुलारि
बियाह सँ द्विरागमन धरिक गीत मैथिली लोकगीत मुख्य पृष्ठ
Biyah Sa Diragaman Dharik Geet Maithili Lokgeet Lyrics
No comments:
Post a Comment