मोतीराम बियाह गीत | Motiram Byah Geet Maithili Lokgeet Lyrics

 


आ खेलै छै तऽ दुलरूआ मोतीराम / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ खेलै छै तऽ दुलरूआ मोतीराम

फलका तऽ ऊपरबामे

आ खेलै छै तऽ मोतीराम दुलरूआ

फलका ऊपरबामे ने हौ

आब बारहे बरिसीया के उमरिया

मोतीराम के बीति गेलैय

आ बारहे बरीस के उमीरिया

मोतीराम के बीति गेलैय हौऽऽ।





सीताराम सीताराम सुगना गाछ पर बोलैए / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


सीताराम सीताराम सुगना गाछ पर बोलैए

सीताराम सीताराम सुगना गाछ पर बोलै छै ने हय।

सीरी यौ भगवाना

सुगना आइ बोलीया देवता नरूपिया

जखनी सुनै छै

सुगना के बोलीया देवता नरूपिया

जखनी सुनै छै ने हौ।





भागल चलि आइ जाइ छै हीरामनि / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


भागल चलि आइ जाइ छै हीरामनि

लाल हाट सटपटियामे

भागल चलि जाइ छै हीरामनि

लाल हाट सटपटियामे ने गय।

आब उड़ि चलि गएलै

आ उड़ल चलि जाइ छै हीरामनि

लाल हाट सट पटियामे ने गय।





सुगना हौ सुगना / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


सुगना हौ सुगना

कहियौ कुशलियौ मैया मंदोदरी के

कहियो कुशलिया हीरामन

मैया तऽ मंदोदरी के ने हौ

कहियो कुशलसिया हीरामन

बौआ मोतीराम के

आ बौआ मोतीराम के ने हय।

सभ के विषयमे हलतिया

हमरा जखनी बता दियौ ने हय।





से केना कऽ ब्याह रचेबै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से केना कऽ ब्याह रचेबै

मोतीराम दियोरबा के

आ केना कऽ ब्याह रचेबै

मोतीराम दियोरबा के ने हौ

से बेनी यौ बेनी

आब वरननमा करैछै

मोतीराम बिअहबा के।

सती साँवर सुग्गा हिरामनि के मँगा कऽ कहै छथि-

से सुगना हिरामनि

कतऽ तऽ जाकऽ देवता

सामी हमर बैठल छथि

से सुगना रे सुगना

जल्दी बजबियौ हे सुगना

स्वामीके भगतिया हीरामनि रै।





से बोलै छै बोलीया दुलहिनियॉ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से बोलै छै बोलीया दुलहिनियॉ

देवता नरूपिया के

से बोलै छै बोलीया दुलहिनियाँ

देवता नरूपिया के ने हय

से स्वामी जी यौ स्वामी जी

गौनमा कराकऽ लौलियै

राज तऽ बराँटपुर से

गौनमा कराकऽ आइ लौलियै

राज तऽ बराँटपुर से ने हय।





से चलैछै नरूपिया देवता / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से चलैछै नरूपिया देवता

राज तऽ महिसौथा के

से चलै छै नरूपिया देवता

राज तऽ महिसौथा के ने हय।

आ घड़िएक चललै पहर पेर बीतै छै

आ घड़िएक चलैछै नरूपिया

पहर पेर बीतै छै ने हय

हौ पले तऽ घड़ीमे

पले आइ घड़ीमे देवता

ड्योढ़ियामे जूमि गेलै

आ पले तऽ घड़ीमे देवता

ड्योढ़ियामे जुमि ने गेलैयै।।-2।





से अपन तऽ सोगारथ आइ बेइमनमाँ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से अपन तऽ सोगारथ आइ बेइमनमाँ

करै छै महिसौथामे

अपन सोगारथ बेइमनमाँ

करै छै महिसौथामे ने हय।

बौआ हमरा कुमार रहतै

राज महिसौथामे ने गय।-2





पुरूब खोजलीयै सतबरती गय / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


पुरूब खोजलीयै सतबरती गय

पछिमो खोजलीयै

पूरूब खोजलीयै सतबरती

आ पछिमो खोजलीयै ने गय।

से सती सतबरती

आगे पूरब खोजलीयै गै रानियाँ

पछिमो खोजलीयै-2

उत्तरो खोजलीयै रानीयाँ

दक्षिणो खोजलीयै

बौआ जोकर लड़की

बौआ जोकर लड़की कतै नइ भेटलै

आ बौआ जोकर लड़की

कतै नइ भेटै छै ने गय।





से पीयबा हऽ पीयबाऽऽ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से पीयबा हऽ पीयबाऽऽ

आ यै हमरा डाँरके साड़िया बेइमनमा

अहाँ तऽ पेन्हीयै

अपन डाँरके धोतीया

आ अपन डाँर के धोतीया स्वामी

हमरा जखनी दऽ दीयौ

आ अपन डाँर के धोतीया स्वामी

हमरा जखनी दऽ ने दीयौ यौ-।।





खैनीये लाथे हजमा / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


खैनीये लाथे हजमा

चीट्ठीया गिराबै छै

खैनीये के लाथे हजमा

चौठीया गिराबै छै

एक्के जुम खैनी राजा के बढ़ावै छै

राजा के नजरि जखनी

चीठी पर नजरिया पडै छै मुनी जीमीदारबा ने।

आ भागल जाइ छै हजमा

राज तऽ महिसौथा के

आ भागल चली जाइ छै हजमा

राज तऽ महिसौथा के-2





आ भागल आइ जाइ छै चन्देसरा हजमा / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ भागल आइ जाइ छै चन्देसरा हजमा

तीसीपुर बंगालबामे

आ भागल जाइ छै हजमा

तीसीपुर बंगालबामे ने।

आ रमैते आ झमैते-2 हजमा

भागल जखनी जाइ छै

रमैते आ झमैते हजमा

भागल जखनी जाइ छै दादा हौ।





से बौआ जोकर लड़की बेइमनमा / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से बौआ जोकर लड़की बेइमनमा

पैदा छै तीसीपुर बंगालबामे

से बोआ जोकर लड़की बेइमनमा

पैदा छै तीसीपुर बंगालबामे ने हय।

आ है बौआ जोकर लड़की

बड़ सतबरती लड़की आइ

तीसीपुर बंगालबामे छैने अय।





तड़बा आय लहरिया चढ़लै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


तड़बा आय लहरिया चढ़लै

मुनी जीमीदरबा के

आ तड़बा लहरिया आइ चढ़लै

मुनी जीमीदरबा केने हय

कौने दिस चोरबा आबि कऽ

चीठी आइ गिरा देलकै

आ कौने दिन चोरबा आबि कऽ

चौठीया गिरा ने देलकै यै।।

राजा पलटन सभके जाति-जाति के पूछे छथि-जे





बान्हि के बनिसार हम हाजतमे त दऽ देबै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


बान्हि के बनिसार हम हाजतमे त दऽ देबै

बान्हि के बनिसार जखनी हाजतमे दऽ ने देबै हौ

बान्हि के बनिसारऽऽ

बान्हि के बनिसार हम आय

हाजतमे दऽ देबै हौ।





अपने चोरबा आय बैठलै मालिक / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


अपने चोरबा आय बैठलै मालिक

तीसीपुर बंगालबामे

अपने चोरबा बैठतै

तीसीपुर बंगालबामे ने हौ

हौ मालिक

अपने तऽ चोरबा बान्हल जेतै

तीसीपुर बंगालबामे ने है।





आ अस्सी मन पथलबा / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ अस्सी मन पथलबा

छाती पर दऽ देलकै

अस्सी मन के पथलबा

छाती पर ने दऽ देलकै हौ

आ हौ अस्सी मन के पथलबा

हकन कनै छै चन्देसरा

हाजत के घरबा मे।-2





से बाप से भेंट करेबै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से बाप से भेंट करेबै

मोतीराम दुसधबा के

आ बाप से भेंट करेबै

मोतीराम दुसधबा केने हय।

खोलबैमे हाजतबा

से बाप से भेंट करेबै

मोतीराम दुसधबा के।





आब बान्ह खोलबीयौ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आब बान्ह खोलबीयौ

छौड़ा चन्देसरा के

बान्ह खोलबीयै सती

छौड़ा चन्देसरा के ने

बान्हल गेलौ हजमा

तीसीपुर बंगालबामे

आ बान्हल गेलौ हजमा

तीसीपुर बंगालबामे ने हौ।





बान्हल गेलह चन्देसरा / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


बान्हल गेलह चन्देसरा

तीसीपुर बंगालबामे

बान्हल गेलै चन्देसरा

तीसीपुर बंगालबामे ने है

आहौ केकरा पर तिलक पठौलही

तीसीपुर बंगालबामे।





से मुँह नै चलै छै गाय सभके / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से मुँह नै चलै छै गाय सभके

पायर ने चलै छै

आ मुँह ने चलै छै गइया सभके

पायरो ने चलै छै ने हय

अढ़ाइ दिन के खातिर

अढ़ाइ दिन खातिर गाय सभके श्राप

गाय सभ जखनी दऽ देलकै

आ अढ़ाइ दिन के खातिर श्राप

गइया सभके जखनी दऽ ने देलकै हय।





से तौल-तौल के ताल ठोकै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से तौल-तौल के ताल ठोकै छै

राज तऽ महिसौथामे।

आ तौल-तौल के ताल ठोकै छै

राज तऽ महिसौथामे ने हय

तौल-तौल ताल

तौल के ताल बरिया

ठोकै छै राज तऽ महिसौथामे ने हय।





से सुगना हौ हीरामैन / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से सुगना हौ हीरामैन

आ रौ अबियौमे अबियौ हीरामनि

गोदियामे बैठि ने जीयौ यौ

आब तोहरो तऽ दुधबा खीचबौ

मैनिगढ़ पर्वत पर ने यौ





डोलीया फन्हा के लौबै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


डोलीया फन्हा के लौबै

सती तऽ दुलहीनीयाँ के

आ डोलीया फन्हा के लौबै

सती तऽ दुलहीनीयाँ के ने हौ





सीयारामे राम हौ नारायण / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


सीयारामे राम हौ नारायण

हौ सुमिरन करै छी

सीयाराम राम के सुमिरन करै छी हौ

दुरगा देवी असामरी तोरा कहै छी

दिल के वार्त्ता आ सभा लागल तीसीपुरमे

मुनीसिंहमे मंशी दरोगा ड्योढ़ीमे बैठल

आ तहि के असरमे अन्हेरबाट तीसीपुरमे जुमि गेलै यौऽऽ।

हौ तीसीपुरमे अन्हेरबाट जुमैय

घाट लगा के हौ देवता बोलैय

आ छौड़ा पलटनियाँ ड्योढ़ी पर जुमलै खड़े पहरा करैय

हा घाट लगा के पलटनियाँ बोलै छै

सुनऽ सुनऽ हौ राजा दरबी

कहाँ रहै छह कहाँ बसै छह

किया लऽ कऽ तीसीपुरमे आ

तकरो हलतिया जल्दी हमरा बोलि दीयौ यौऽऽ।





रौ खबर जना दे रौ राजा जी के / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


रौ खबर जना दे रौ राजा जी के

आ जल्दी बाँन्ह हजमा के खोली देऽ।

आ मोतीराम के रौ बिआह करबै

राजा के जे बेटी छै रौ रानी कुसुमा

आय ओकरे जे दिनमा मना के जेबै

डोला फनाँ तीसीपुर से जेबै

आ डोलीया फनाँ के तीसीपुर से लऽ जेबै रौऽऽ।





आ फेरो जे अगुआ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ फेरो जे अगुआ

महिसौथा से एलै मालिक यौऽऽ।

हौ अगुआ आबि गेलै तीसीपुरमे

आ बान्ह अय खोलि दीयौ हजमा जी के

सहजे अय दिन हौ राजा जी मानियौ

आ जल्दी अय दिन कुसुमा के मानि लियौ यौऽऽ।





आ जल्दी से चलियौ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ जल्दी से चलियौ

ड्योढ़ी के ऊपरमे हौऽऽ।

एतेक बात जे अगुआ सुनलय

जतरा केलकय ड्योढ़ी लगमे

सभा लागल मुनीसिंह के

आब तब आय जबाब आय राजा जी

पूछै छै ने यौ

हौ तब जबाब तऽ मुनीसिंह पूछै छै

सुनिलय हौ सुनिलय

दिल के वार्त्ता

आ किये करनमा तीसीपुरमे एलैय

तेकर हलतिया हमरा कहि दीअ

जल्दी बताबियौ देरी नै लगाबियौ।





आ केना के बान्ह राजा / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ केना के बान्ह राजा

हजमा के बान्हि देलह हौऽऽ।

हौ जल्दी अय बान्ह हजमा के

खोलि दीयौऽ।

आ भल दिन भल भेल

सोम दिन दिन भेल

डोला फनाँ के शैनके लऽ जेबै

आ सहेजे आइ दिन राजा

ड्योढ़ीमे आय मानि लियौ यौऽऽ

हौ देवीपुरमे हमहु एलीयै

जाति गोआर के बेटा कहबै छी

आ मैनीगढ़मे घर लगै छै

सात सय हौ गइया हौ मैनीगढ़मे चरबै छी

आ अगुआ जे बनिके राजा

तीसीपुरमे एलीयै ने यौ





आ बान्हि के बनिसारऽ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ बान्हि के बनिसारऽ

आइ तीसीपुरमे कऽ देबह हौऽ।

हौ बतबा कहै छै बात नइ मानै छै

आ जाति हरमुठहा गुअरबा लागैय

आ खड़ुआ नंगोटा गात लगौलकै

आ बाइस हाथ के दोपटा बन्हने

आ अस्सी मन के डंडा भँजै

आ सुन-सुन हौ राजा दरबी

आ सहजे आइ दिन हजमा ने मनबह

आ डोला फनाँ हम तीसीपुरमे जेयबह।

आ जल्दी आइ युद्ध राजा ड्योढ़ियामे कऽ लय हौ।





आ सहजे आइ डोला राजा / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ सहजे आइ डोला राजा

अगुआ के दऽ दीयौ हौ

हौ एत्तेक बात आइ राजा सुनै छै

तरबा लहरि मगज पर चढ़लै

आ कुरसी छोड़ि देल राजा दरबी

जादू के जाल हौ राजा खोलै छै

तब हौ जबाब आइ मनीसिंह दै छै

आ सुन अन्हेरबाट तोरा कहै छै

मन से नइ हम लाधा करबै

आ जादू के लड़ाइ हम ड्योढ़िया पर करबै ने हौऽऽ।

हौ जादू के लड़ाइ राजा लड़ै छै

आ उनटा जादू अन्हेरबाट के मारैय

आ छौड़ा अन्हेरबाट ड्योढ़ी पर गिरलै

आ रग-रग जादू अन्हेरबाट के लगलै

आ कड़ा सवाल हौ राजा करै छै

सुनलय रौ सुनलय छौड़ा पलटनियाँ

आ उनटा बाँन्ह आ दुश्मन के बन्हियौ

कड़ा रे जहलमे दुश्मन के दीयौ

आ जल्दी आइ बान्हि के आइ हाजतमे दऽ दीयौ यौ।।





आ अस्सी मन पथलबा ओकरा / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ अस्सी मन पथलबा ओकरा

छाती पर चढ़ा देलकै यौ।

हौ नारायण जुलुम बीतै छै

हजमा बान्हल तीसीपुरमे।

आ अन्हेरबाट बनिसार जे देलकै।

दिन ओरैलय महिसौथामे

सात दिन हपता जे पुरलय

मनेमन साँमैर सोचै छै

सुनऽ-सुनऽ हौ सुग्गा हीरामनि

दिन के वार्त्ता तोरा कहै छी

जुलुम भऽ गेल राज महिसौथा

आ अगुआ पठौलीयै आइ लौटकऽ नहि

एलै हौ।





आ डोलाँ फनाँ के महिसौथामे जइतीयै यौ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ डोलाँ फनाँ के महिसौथामे जइतीयै यौ

हौ सब दिन पूरबा तीसीपुरमे बहै छह।

एक दिन पछिया महिसौथा घुरतै।

आ जइ दिन अऔतै मोती दुलरूआ

अपने से बिआह हौ तीसीपुरमे करतै।

आ डोलीयाँ फनाँ के आइ कुसमा के लऽ जेतै हौऽ।





आ सगुन के पतरा उचारीयौ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ सगुन के पतरा उचारीयौ

सगुन देखियो सभ हलतिया।

एत्तेक बात जे रानी सुनै छै।

साँमरवती कोहबर घरमे।

गाय गोबर लऽकऽ अंगना नीपै छै

सवा हाथ धरतीजे नीपि गेल।

पतरा लऽकऽ रानीया बैठै छै।

सगुन के पतरा हौ रानी उचारै छै।

सगुन देखै अय जुलुम बीतै छै

यार अन्हेरबाट बान्हल गेलै।

तबे जवाब आइ रानीया दैइयह।

सुनऽ सुनऽ हौ सुग्गा हीरामनि।

हजमा गेलै तीसीपुरमे

आ बान्हल गेलै तीसपुरमे।

दोसर अगुआ गेलै अन्हेरबाट

यार अन्हेरबाट सेहो बान्हल गेलै।

केना के ब्याह हौ मोती के हेतऽ

हम सतखोलियामे ननदि बसै छै

ओकरे जाँघि हौ जनमल भगीना

आगा जनीयौ आगू मँगबीयौ सतखोलियामे।

आ भागीन करिकन्हा के मँगा के

सुनऽ सुनऽ हौ दिल के वार्त्ता

जल्दी जइयौ सतखोलियामे।

खबरि जना दय भागीन जी के।

सब वीर महिसौथा ओरेलै।

आ जल्दी मँगाके भगीना के लाबि दियौ यौ।





सीकी कऽ बढ़नी हौ हाथ के लऽकऽ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


सीकी कऽ बढ़नी हौ हाथ के लऽकऽ

रानी बनसप्ति अंगना बहारैय।

चनन गाछ लग एलै बनसप्ति

हा सीताराम सीताराम बोली सुनैछै।

ऊपर नजरि बनसप्ति खीराबैय।

हौ सुगना पर आइ नजरिया पड़ि गेल।

आ छगुन-छगुन मन बनसप्ति करै छै

हाय नारायण हाय विधाता

हे ईसवर जी।

जहिया से एलीयै सतखोलियामे।

बहुत सुगना हमहु देखलीयै।

एहेन सन सुग्गा नइ कहियो देखलीयै

आ हमरा लगै छै भैया जी के

सुग्गा हीरामनि इएहे छीयै।





जुलुम बीतै छै राज महिसौथा / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


जुलुम बीतै छै राज महिसौथा

जल्दी हमरा करिकन्हा देखबीयौ

भागीन बजाहटि मामा बजौलकै।

मोती अय मालिक के जरूरीआय पड़लै।

आ जल्दी बजाहटि करिकन्हा के लाबि दीयौ यौ।





आ सुग्गा हीरामनि अगुआ बौआ / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


आ सुग्गा हीरामनि अगुआ बौआ

जुमि गेलैया

एत्तेक बात करिकन्हा सुनैय

सव हाथी के टेंना पर छोड़ैय

आ अस्सी मन के आंकुश लै छै

भागल करिकन्हा ड्योढ़ीमे जुमलै

झूकि सलाम हौ सुग्गा के करैय।

आ ताबे हौ नजरि सुग्गाा के पड़ि गेल

करिकन्हा के सब कहलकै।

अस्सी मन के आंकुश लेलकै

जतरा जइ दिन महिसौथा करलकै।

हौ सुग्गा हौ हीरामनि पंछी रूपमे।

उड़ि जब गेलै।

आगू भऽ कऽ महिसौथा जुमलै

झूकि सलाम साँमैर के केलकै।

हा सब हौ खबरिया साँमैरके कहै छै।

सुनियौ सुनियौ सुनियौ रानी

हा भागीन करिकन्हा भागल अबै छह।

एही जे समयमे करिकन्हा जुमलै।

झूकि सलाम साँमैर के केलकै।

सुनऽ सुनऽ हय मामी सुनीलय।

दिल के वार्त्ता हमरा कहीयौ।

कीये कारण सुग्गा के भेजलह।

आ एकरो खबरिया सुगना की कहलकैय

एकरो हलतिया गय मामी कहिदय।

की तोरा घटि गेलौ अनधन सोनमा

की पाकल वीर पान मामी घटलौ।

गय कौन दुश्मन तोरा की कहलकौ

किय जरूरी गय मामी पड़ि गेल

एकक वीर हमर मामा जनमल

सात सय पाठा महिसौथामे खेलबै छै

दोसर वीर मैया कोंखिमे जनमली

सात सय गै हाथी टेंना पर चराबै छी





हौ किय हौ ऑडर हौ भगिना दै छह / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ किय हौ ऑडर हौ भगिना दै छह

हाट बात हलतिया कहि दे।

एत्तेक बात करिकन्हा सुनै छै

तरबा लहर मँगज पर चढ़लै

गै सुनि लय गै सुनि लय मामी सुनिलय

आ धैरज के बान्हि कऽ तहुँ रखि ले

कोहबर घरमे बैठि जो

जतरा जे बनिब तीसीपुरमे।

भागल जाइ छै तीसीपुरमे।

घड़ी के चललै पहर बीतै छै

पले घड़ी अधपेरिया बीतलै

पले घड़ीमे तीसीपुर जुमि गेल

सभा लागल खड़ेदार ड्योढ़ी पर बैठल

पलटन से जवाब करै छै

किये नाम राजा के लगैय

एत्तेक बात छौड़ा पलटन सुनैय

खड़े यौ डाँट आइ पलटनियाँ डँटै छै

सुन रौ बौआ दिल के वार्त्ता

कतै रहै छै कत बसै छै

कोन रौ कुल के मनुष कहबै छै

तकरो तऽ हलतिया बौआ हमरातऽ बताबियौ यौ...।





यौ एत्तेक बात यौ राजा सुनै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


यौ एत्तेक बात यौ राजा सुनै छै

हा पलटन सबके भरोस आइ दै छै

सुन रौ बिजुलिया दिल के वार्त्ता

रौ चल चल बौआ रौ ड्योढ़ी लगमे

हा कत्ते आइ मैया ओकरा दूध पीयौलकै

बाप से भेंट ओकरा करेबै।

हा जादू मारि आइ ड्योढ़िया पर करबै रौ।





तरबा लहरिया राजा के चढ़लै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


तरबा लहरिया राजा के चढ़लै

कुरसी पर से राजा उठैय

ड्योढ़ी परमे राजा एलैय

नजरि पड़ि गेलै करिकन्हा पर

बात-बातमे झगड़ा बझलै

युद्ध पड़ि गेलै करिकन्हा से

उनटा जादू हौ राजा मारै छै

आँखि आन्हर करिकन्हा के करै छै

बान्हि के बनिसार करिकन्हा के धऽ देलकै।

मने मन करिकन्हा पलटनियाँ के कहै छै

एको नइ जादू हमरा मैया नइ सीखेलकै रौ।

हाय-नारायण हाय ईसबर जी

तोरा कहै छी दिल के वार्त्ता

सात दिन जे फेर भऽ गेलै

मोनमे विचार साँमेर जे करै छै

सुग्गा हीरामनि बाट तकै छै

सुनऽ सुनऽ हौ सुग्गा हीरामनि

बड़ गुणी छेलै भागिन करिकन्हा

घुरि के फेर भगिना नइ एलै

आब केकरा भेजबै राजा महिसौथा से





हौ एत्तेक बात छौड़ा पलटन सुनैय / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ एत्तेक बात छौड़ा पलटन सुनैय

खड़े हौ डाँट पलटनियाँ डँटेय

भागि जो भागि जो छौड़ा करिकन्हा

प्रेम के चंडाल बौआ राजा लगै छै

सात सय बन्हुआँ नित बन्है छै

जइ दिन सात सय बन्हुआ नइ पुड़ै छै

सवा घड़ी जेलमे रहै छै

तब अन्न्जल करै छै

आ जान नइ बचतौ आइ तीसीपुर बंगालमे बौआ रौ।

हौ एत्तेक बात छौड़ा पलटन बोलैय

तरबा लहर मँगज पर चढ़ैलय

जुमि गेल करिकन्हा ड्योढ़ी परमे

ताबे जवाब पलटनियाँ के दै छै

खबरि जना दे राजा के।

जान के काज राजा के लगै छह

जतेक अगुआ महिसौथा एलै

सभके बान्ह बौआ खोलि दीयौ

तब जान बौआ तोरा जब छोड़ि देबौ रौ।।





हौ एत्तेक बात हीरामनि बजै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ एत्तेक बात हीरामनि बजै छै

तब खबरि मोतीके केलकै

सुनऽ सुनऽ से बौआ सुनि लिअ

दिल के वार्त्ता अहाँ के कहै छी

अहीं कारणमे बान्हल गेलै सभटा

सभवीर महिसौथा ओरेलय।

तीसीपुरमे कनियाँ लगै छै

रानी कुसमा नाम लगै छै

से एक्को अगुआ घुरि नइ एलैयौ।

आ अगुआ के बान्ह खोलबै लय जल्दी जइयौ यौ।

आ एत्तेक बात मोतीराम के कहै छै

तकर जवाब मोती दुलरा कहै छै

सुन सुन गै भौजी सुनि लय

सेहे मन तोर भौजीया छेलौ

पहिने कहितय गे महिसौथामे

एक्के बेर बराती सजितौं

ब्याह कर तीसीपुर से लबितीयै

आ डोलियाँ फनाँ के कनियाँ के लबितीयै गै





हौ खरूआ नंगोटा मेाती लगबैय / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ खरूआ नंगोटा मेाती लगबैय

अस्सी मन के मुंगरदंड लैये।

हा सवा हाथ के सड़री के सोंटा

काँख दबा मोतीराम लइये।

हौ जतरा केलकै तीसीपुर के

हा बदियल बेटा धरम रखबैय।

मोतीराम जुमि जे गेलै

जाति दुसाध हड़मुठहा लगैय।

हा भरम नै रखै छै मोतीराम दुलरा

तीसीपुरमे मोती घुमै छै।

सब के मारि के ओछा ने देलहक

हा सभ पलटनियाँ ड्योढ़ी सा भगैय।

राजाजी के खबरि जे जनऽबै छै

सुनऽ सुनऽ हौ राजा सुनिलय

हौ सब बेर अगुआ हौ सब रंग एलै

हा अइबेर अगुआ बतहबा एलै

नाम ठेकान एक्को नइ कहै छै

हा सब के मारि के ड्योढ़िया पर सुता देलकह हौ।

aq21





यौ एत्तेक बात मोतीराम सुनैय / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


यौ एत्तेक बात मोतीराम सुनैय

हा तकर जबाब मोती दुलरा करैय

सुनऽ हौ सुन लय राजा दरबी

राजा महिसौथामे घर हमर लगै छै

हा तीन भाइ भइचारी लगै छै

सबस जेठ सलहेस नरूपिया

हा जिनको से छोट आइ मोती दुलरूआ

हमर नाम मोती से पड़ि गेल

हमरा जे छोट जे बौआ बुधेसर

सबस छोट बहिन बनसप्ति

बहिन बसैय सतखोलियामे

हौ अपन ब्याह है एहिठाम करैबैय

अपने ब्याह कारण अगुआ भेजलियै

केना नइ दिन हौ राजा मनलीयै

केना यौ बान्हि बनिसार राजा देलहक।

हाँ जहिना बान्हि बनिसार राजा देलह

आ तहिना आइ बान्हि तोरा राजा दयबैय हौ।।

हौ एत्तेक बात मोतीराम कहै छै

तरबा लहरि आइ राजा के चढ़लै

खड़े डाँट जे राजा डँटै छै

सुनऽ सुनऽ हौ बाट बटोही

जान के काज आइ तोरा लगै छह

हा भागि तऽ तीसीपुर से जइयौ

नै तऽ बान्हि तऽ बनिसार तोरा दइबह हौ।





यौ जाबे जे मारि जादू के नइ करबै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


यौ जाबे जे मारि जादू के नइ करबै

ताबे नइ दुश्मन नइ बान्हल जेतै

क्षत्री वंशमे दागो लगतै

जाति दुसाध घरमे बेटी जेतै

हा केना कऽ डोलीया के राजा के कऽ देबै यौ।

हौ जादूये मारि मोतीराम के केलकै

हा आँखि के आन्हर मोतीराम के केलकै

हा सौ सौ बान्ह छौड़ा पलटन बान्हैय।

सभके बान्हि आइ हाजतमे देलकै।

आ वीर सभटा ओरा देलकै

हकन कनै जेलमे कनै छै

हाय नारायण हाय इसबर जी

जुलुम बीतै छै राज महिसौथा

नाम बूड़ि गेलै महिसौथामे

कोइ कहबीया नइ महिसौथा के होइ छै

सभ वीर बान्हल जखनी गेलै यौऽऽ।





हौ एत्तेक बात मोती जेलमे कहै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ एत्तेक बात मोती जेलमे कहै छै

हा दुर्गा मैया सुमिरन करै छै

पवन रूपमे दुर्गा जुमि गेल

जेल के घरमे दुर्गा जुमलै

हा हाक लगाकऽ योगिनियाँ बोलै छै

सुनऽ सुनऽ हौ मोती खलीफा

हौ घड़ी राति बोन अइगली बीतलै

घड़ी राति बोन पैछली बीतलै

गाम-गाममे पहरा पड़ै छै

गीदड़ भालू गुड़गुड़ी मारै छै

सन सन सन सन गोला उठै छै

सुखल डारि पर कागा बोलै छै

पैछली राति करनीनियाँ भेलै

आ किया कारणवाँ दुलरबा तऽ हमरा बोलबलह हौ।

तेकरो हलतिया हमरा कहियौ

किया कारण एतऽ बौआ बोलौलियै यौ





से अब नइ परानमा गै देवीया / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


से अब नइ परानमा गै देवीया

जेलमे नइ बचतै

आब परानमा जेलमे नइ

बचतै गै।

हौ एत्तेक वचनियाँ हौ मोतीराम कहै छै

हा तबे जवाब मैया दुर्गा दै छै

सुनऽ सुन हौ मोती दुलरूआ

हौ तोहरे सभ के बान्ह खोलेबै

डोला फनाँ महिसौथा जेबह

किया आइ चढ़ौना हमरा बौआ तू दइबै रौ।

से कबूल आइ तू कऽ दे रौऽऽ

जेल के बान्हमामे रौऽऽ।

हौ एत्तेक वचनियाँ किया अइ दुर्गा कहै छै

जेलमे समाध मोतीराम कहै छै

गै जइ दिन जेबै मैया राज महिसौथा

आ सब के बान्ह योगिनियाँ खोलेबह।

डोला फनाँ महिसौथा जेबह।

जइते पूजा महिसौथा मैया दऽ देबौ गै।

से जइते पूजा गै योगिनियाँ महिसौथा ने दऽ देबै।-2





हौ भागल दुर्गा महिसौथा के चललै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ भागल दुर्गा महिसौथा के चललै

आ घड़ी चलै छै पहर बीतै छै

पवन रूपमे दुर्गा भगलै

सन सन सन सन दुर्गा बीतलै

हा पले घड़ीमे महिसौथामे जुमि गेलै

सुतल छै गै साँमैर रानी पलंग पर

हा तहि के बेरमे दुर्गा घरमे जुमि गेलै गै।

हौ हाक लगा के दुर्गा कहै छै

सुन गे बेटी साँमेर सुनिलय

अगुआ के भेजलय तीसीपुरमे

सभ के मार तीसीपुरमे लगौलय

अपने रनीयाँ गै कोहबर सुतलय

केना कऽ कोहबरबा घरमे सुति रहलय गै।

से जल्दी गै नींन कोहबरमे साँमैर तोड़ियौ-2 गै





हौ एत्तेक बात अय साँमर कहै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ एत्तेक बात अय साँमर कहै छै

लछ-लछ गारि मैया दुर्गा दै छै

हा सुन गे बेइमनवी साँमैर सुनिलय

दिल के बात हम तोरा कहै छी।

कहिया के दुश्मन मोतीराम छेलै

हा खेत चढ़ाके तीसीपुरमे भेजले

हा सबके बान्ह तीसीपुरमे लगलै

आ केना के बान्ह आइ मोतीराम के खुलतै गै।





हौ तब आइ साँमैरबती मनमे सोचै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ तब आइ साँमैरबती मनमे सोचै छै

एत्तेक दिन महिसौथामे छेलीयै

सबके बान्ह महिसौथामे लगलै

एकोनइ अगुआ महिसौथामे लगै छै

केकरा आइ भेजबै आइ तीसीपुर बंगालमे यौ।

तबे जवाब आइ साँमैर बोलै छै

सुनऽ सुनऽ हौ सुग्गा हीरामनि

जल्दी अबियौ कोहबर घरमे

जुलुम बीतै छै कोहबर घरमे

जल्दी मँगा हमरा स्वामी जी के दऽ दीयौ यौ।।





हौ एत्तेक बात जे साँमैर बोलै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ एत्तेक बात जे साँमैर बोलै छै

तेकर जवाब नरूपिया दै छै

हा सुनऽ सुनऽ सती दुलहिनियाँ

एत्तेक बात पहिने हम कहली

भाइ कुमार महिसौथा रहतै

हम नइ बिआह महिसौथा करबै

तोरा बातमे हम पड़लीयै

तू ही बान्ह अगुआ आइ खोला दीयौ यै।

हौ तबे जवाब सती साँमैर दै छै

हा सुन हौ स्वामी, स्वामी नरूपिया

हौ अपन धोती हौ हमरा दऽ दय।

आ डाँरके साड़ी स्वामी पहिरीयौ

हा सवा हाथ डंटा दऽ दय

अपने जेबै हम तीसीपुरमे

आ डोलिया फनाँके हम कुसमावती के लौबै हौ।।





हौ एत्तेक बचनियाँ देवता सुनै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ एत्तेक बचनियाँ देवता सुनै छै

मनमे विचार सीरी नरूपिया करै छै

आ घरनी भऽ के एत्तेक बात कहै छै

तबे जवाब हौ नरूपिया दै छै

सुनऽ सुनऽ हौ सती दुलहिनियाँ

सतखोलियामे बहिन बसै छै

जादूगीरनी सहोदरी लगै छै

जादू के खेती तीसीपुर हाइ छै

जल्दी मँगा के बहिनीयाँ के लाबि दीयौ गै।

हौ एत्तेक बात जे दादा बोललकै

तबे जवाब साँमैर जे देलकै

सुनऽ सनऽ हौ सुग्गा हीरामनि

जल्दी जइयौ सतखोलियामे

सबे बात ननदिया के कहिबौ

जल्दी मँगा के ननदि के आइ

लाबि दीयौ यौ।।

हौ भागल हीरामनि सतखोलियामे जाइ छै

घड़ी के चललै पहर बीतै छै

पले घड़ी सतखोलिया जुमि गेलै

बैठल बनसप्ति महल घरमे।

सबे बात आइ सुगना कहैय

दुःख वरनन बनसप्ति सुनैय।

आ तेकरे बात पर जतरा रानीयाँ बना देलकै यौ।

हौ एते सुनि वनसप्ति चलै छै

घड़ी चलै छै पहर बीतै छै

पले घड़ी महिसौथामे जुमि गेल।

झूकि आइ सलाम देवता के करै छै

दोसर वंदगी भौजी के करै छै

तबे जवाब वनसप्ति दै छै

सुनऽ सुनऽ हे भौजी सुनियौ

कोन जरूरी पड़ि गेलैय

तबे जवाब साँमेर दै छै

सुनि यौ अय दइया दिल के वार्त्ता

बौआ मोती के लड़की खोजलियै

तीसीपुर आइ लड़की जनमलै

मुनीसिंह के बेटी लगै छै

कुसुमावती जे नाम लगै छै

बौआ जोकर लड़की लगै छै

ओकरे पर हजमा के भेजली

बान्हल गेलै हजमा ओहिठाम

दोसर समधिया यार जी

ओहो बान्हल आइ तीसीपुरमे गयलै यै

तइ पर से भगीना गेलै

पाछु से देवरा मोती गयलै

बल के लड़ाइ नै तीसीपुरमे लड़ै छै

जादू के खेती तीसीपुरमे होइ छै

जतेक के भेजै छै तीसीपुरमे

सबे बान्ह तीसीपुरमे लइ छै

आ तहि के कारणमा दइया अहाँ के बजौलीयै यै।।





हा एत्तेक बात अय साँमेर कहै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हा एत्तेक बात अय साँमेर कहै छै

तरबा लहरि बनसप्ति के चढ़लै

हा सुन गे उढ़रिया दिल के वार्त्ता

मै जादू के लड़ाइ तीसीपुरमे छेलै

पहिले समाध तऽ हमरा कहतै

बल स लड़ितय बौआ लड़ितय

जादू स लड़ितय हमहुँ लड़िती

भौजी के डोला तीसीपुर से लबिती

बाप से भेंट हम राजा के करा दैतीयै यै।।

हौ एत्तेक वचनियाँ वनसप्ति कहै छै

तबे जवाब बनसप्ति कहै छै

चल चल चल तीसीपुरमे

बान्ह खोला अगुआ के लैबै

जहिना बान्ह राजा बन्हलकै

अपना बाप के राजा नइ चिन्हलकै

दीबरा आइ भीड़ राजा के बना देबै यै





हौ घड़ी चलै छै पहर बीतै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ घड़ी चलै छै पहर बीतै छै

पले घड़ीमे जुमि जब गेलै

आगू-आगू हौ नरूपिया चललै

पाछु भऽ के बनसप्ति चललै

जुमि जब गयलै तीसीपुरमे

हौ सात सय पलटन ड्योढ़ी पर खटै छै

आ तहि समयमे देवता जुमि गेल

हा ड्योढ़ी परमे नजरिया पड़ि गेल

तबे आइ जवाब देवता करै छै

सुन गै बहिनियाँ गै दिल के वार्त्ता

हा सात सय पलटन ड्योढ़ी पर गै खटै छै

हमरा नाम आय हँसी जब भऽ जेतै गै।

हौ तबे जवाब बनसप्ति दै छै

सुनि लय सहोदरा हौ दिल के वार्त्ता

जहिना बान्ह चन्डालवा बन्हलकै

तहिना बान्ह तू राजा के बन्हिहऽ।





हौ एत्तेक बात राजा सुनै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ एत्तेक बात राजा सुनै छै

कुरसी पर से राजा चललै

हो एके नजरि बनसप्ति पर पड़ै छै

हौ बात बात पर झगड़ा बझलै

तबे जवाब बनसप्ति दै छै

सुनऽ सुनऽ हौ राजा दरबी

हौ जत्तेक बान्ह तीसीपुरमे बन्हलऽ।

हा सभ के बान्ह राजा खोलि दहक हौ।

एत्तेक बात जब राजा सुनै छै

तबे जवाब राजा दरबी दै छै

हा जतेक अगुआ एलै महिसौथा से

बान्हल गेलै तीसीपुरमे गयलै

जान के आइ काम तोरा तीसीपुरमे हौ तऽ

भागि जो चलि जो राज महिसौथा

जान नै बचतौ महिसौथामे बचतौ

तोरो जे बान्हिके बनिसार हम दइ दैबौ यौ।

तबे जबाब बनसप्ति करै छै

भौजी के डोला महिसौथा लऽ कऽ जयबै यौ।

एत्तेक बात बनसप्ति बजै छै

सवा हाथ खंडा राजा उठौलकै

बात बातमे झगड़ा बझिगेल

तबे जवाब बनसप्ति दै छै

जइ से लड़बऽ ओइ से लड़बै

बल से लड़बऽ बल से लड़बै

छल से लड़बऽ छल से लड़बै

जादू के लड़ाइ आइ वनसप्ति जानी लड़ै छै गै।

हौ पहिने जादू पलटन सभके मारै छै

हा सब पलटनियाँ ड्योढ़ी पर गिरै छै

जहिना सखुआ-शीशो के पाँगै

हर-हर हर-हर पलटन गिरै छै

जहिना है जादू राजा के लगलै

हा राजा मूर्च्छित जब भऽ गेलै

दादा नरूपिया बगलमे बैठल

सबके मार बनसप्ति जखनी कऽ देलकै यौ।

कोहबर घरमे कुसुमा छेलै

कोहबर घर से रानीयाँ जुमि गेल।

झूकि सलाम ननदि के करै छै

सुनियौ सुनियौ बहिन बनसप्ति

दिल के वार्त्ता अहाँ के कहै छी

जइ दिन जनम तीसीपुर लेलीयै

सोइरी घरमे अँचरा उठौलीयै

हा राज महिसौथा आशा जोहलीयै

जहिना प्राण सीता जी केलकै

सबे प्राण हम तीसीपुरमे केलीयै

बाबू भाइ के पगड़ी रखलीयै

तहि से नइ सहारा स्वामी जी के नै केलीयै यै।।

से जान बकैस पिता के दीयौ

हा सहजे आइ तऽ दिन मनाबीयौ

डोला फनाँ तीसीपुरमे जेबै

हमरो वचनियाँ दैया आइ तऽ मानि लियौ यै।।

हौ एत्तेक बात तऽ कुसमा कहै छै

रानी वनसप्ति दयालू छेलै

साँवर जादू राजा के मारै छै

तबे राजा ठाढ़ जब होइछै

तब जवाब बनसप्ति दै छै

हौ आबो डोला हौ राजा दऽ दय।

हा सब बान्ह जेल घर से खोलि दय।

आ सहजे आइ डोला हम भौजी के लऽ जेबै हौ।।

हौ एत्तेक वचनियाँ राजा सुनै छै

हा सब चीज सब बश भऽ गेलै

स्वीकार केलकै देवता वचन के

तबे जवाब पलटन के दै छै

सुन सुन हौ छोड़ा बिजुलीया

हौ जतेक बन्हुआ जेलमे बन्हलऽ।

हा सबके खोलि हाजिर जब करबह।

बेटी आ कुसमा के दिन मानलीयै।

जल्दी यौ डोला रानी के दऽ दऽ।

जल्दी आय डोला बेटी आइ कुसमा के दऽ दीयौ हौ।





हौ एत्तेक बात जे हजमा बोलै छै / मोतीराम-बियाह गीत मैथिली


हौ एत्तेक बात जे हजमा बोलै छै

तब छौड़ा पलटनियाँ बोलैय।

हा सुन सुन हौ हजमा सुनिलय

तोहर बहनियाँ एलै महिसौथा से

हा सबके खोलि हाजिर कऽ दै छी

हा बेटी कुसमा दिन मनौलकै

राजा दरबी दिन मनलकै।

सब कोइ मिलि कऽ आइ तीसीपुर से जइयौ हय।

हौ दोसर बान्ह अन्हेरबाट के खोलै छै

हा तेसर बान्ह आइ करिकन्हा के खोलै छै

मोतीराम के बान्ह खोलै छै

सब कोई के हाजिर ड्योढ़ी पर केलकै

गरा गरामे हौ मोती मिलै छै

सब तऽ मिलि कऽ तऽ डोलीया हाजिर कऽ लेलकै यौ।।

हौ डोलीया यौ लऽ कऽ महिसौथा चलै छै

हा घड़ी चलै छै पहर बीतै छै

पले घड़ीमे महिसौथा जुमि गेल

हा सब आइ हिलि-मिलि महिसौथामे जुमि गेलै यौ।।

राजा यौ देवता नरूपिया खामिन

हा सती साँमेर के कोहबर घरमे बोली बोलै छै

सुनऽ सुन हौ रानी सुनिलय

कोहबर घरमे यै सती बैठीयौ

राज-पाट मोती के दै छी

आ हमहुँ आइ जतरा बेलकागढ़मे कऽ देलीयै यै

हा एत्तेक कहिके नरूपिया जाइयै

हा बेलकागढ़ के जतरा करै छै

हा नारायण हा इसबर जी

छत्तीस राग के मुरली टेरै छै

बेलकागढ़मे देवता जुमि गेल

छने रहैय बेलकागढ़मे

छने रहैय धौलागिरीमे

छने रहैय सराबागमे

छने रहैय मानिकदहमे

छने रहै छै जहदी घाटमे

एहि ठा से नरूपिया देवता भागल धुरै यौ।


 सलहेस गीत मैथिली लोकगीत ( मुख्य पृष्ठ ) Salhes Geet Maithili Lokgeet 

टिप्पणियाँ

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

Rajasthani Lokgeet Lyrics in Hindi राजस्थानी लोकगीत लिरिक्स

बुन्देली गारी गीत लोकगीत लिरिक्स Bundeli Gali Geet Lokgeet Lyrics

Amir Khusrow Dohe Kavita अमीर खुसरो के दोहे गीत कविता पहेलियाँ