साँझ परल संझा आयल चन्दरदास भजन / Saanjh Paral Sanjha Aayal Chanderdas

 

साँझ परल संझा आयल, होरिल चलिए भेल ए।
ललना रे! बाट रे बटोहिया संग छुटल,
चिट्ठिया पहुँची गेल ए॥1॥
धन ूटल जन छूटल, तिरिया छुटियो गेल ए।
ललना रे! छुटि गेलै महल मकान से,
मुनिया उड़िये गेल ए॥2॥
भैया रोवे भौजी रोवे, सिर धुनि रोवे ए।
ललना रे! रोवेलै कुटुम्ब परिवार से,
बड़ी अजगुत भेल ए॥3॥
हित कुटुम्ब हिलि-मिलि आयल, से मतिया मिलावल ए।
ललना रे! लिये गेल नदिया किनार से,
काया उठावल ए॥4॥
काठ के पलंग बिछाय के, काया ओठगावल ए।
ललना रे! मुख में लगाये देल आग से,
दया नहीं राखल ए॥5॥
जरिये खोरिये काया फेकल, आपन पराया भेल ए।
ललना रे! लाख जतन के काया से,
संगहू न लागल ए॥6॥
‘चन्दर दास’ सोहर गावल, गावी के सुनाएल ए।
ललना रे! सपना भेल संसार से,
समुझि मन आयल ए॥7॥ 

सुख-वरण प्रभु, नारायण भजन / Sukh-Varan Prabhu, Narayan Bhajan
सुर की गति मैं भजन / Sur Ki Gati Mein Bhajan
सुरता राम भजाँ सुख पाओ भजन / Surta Ram Bhajan Sukh Pao Bhajan

टिप्पणियाँ

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

Rajasthani Lokgeet Lyrics in Hindi राजस्थानी लोकगीत लिरिक्स

बुन्देली गारी गीत लोकगीत लिरिक्स Bundeli Gali Geet Lokgeet Lyrics

Amir Khusrow Dohe Kavita अमीर खुसरो के दोहे गीत कविता पहेलियाँ