खोजत-खोजत सतगुरु भेंटि गेला रामेश्वरदास भजन / Khojat-Khojat Satguru Bhenti Gela Rameshwardas Bhajan

 

खोजत-खोजत सतगुरु भेंटि गेला, धरहर गढ़ सिकली मोर॥1॥
प्रथम दिहल गुरु मानस जाप जे, मानस ध्यान अरु मोर॥2॥
दोसर देलखिन दृष्टि-योग मारग, घटहि में भइलै इँजोर॥3॥
जगमग-जगमग होवत घटहि में, बिजली छटकै अति जोर॥4॥
चंदा चमकई तारा जे झलकई, भाँन तेज अधिक इँजोर॥5॥
सुन्न भवन हम जाइ के बैसलाँ, सबद सुनल अति सोर॥6॥
सतगुरु स्वामी मोहि भेद बतावल, सारसबद का हीं डोर॥7॥
सारसबद हम गहि के जावला, मिलि गेल सतगुरु मोर॥8॥
सतगुरु सम नहिं हित जग कोई, ‘रामदास’ कहै कर जोर॥9॥

सतगुरु शिष्य को सुधारै हो रामा रामेश्वरदास भजन / Satguru Shishya Ko Sudhaarai Rameshwardas Bhajan


Comments

Popular posts from this blog

Rajasthani Lokgeet Lyrics in Hindi राजस्थानी लोकगीत लिरिक्स

बुन्देली गारी गीत लोकगीत लिरिक्स Bundeli Gali Geet Lokgeet Lyrics

Amir Khusrow Dohe Kavita अमीर खुसरो के दोहे गीत कविता पहेलियाँ