सखि,कि पुछसि अनुभव मोय / Sakhi, ki puchsi anubhav moy Vidyapati

सखि, कि पुछसि अनुभव मोय .
से हों पिरीति अनुराग बखानइत, तिल-तिले नूतन होय.
जनम-अवधि हम रूप निहारल,नयन न तिरपित भेल .
सेहो मधु बोल स्रवनहि सूनल, स्रुति-पथ परस न भेल .
कत मधु जामिनि रभसे गमाओल,न बुझल कइसन गेल.
लाख-लाख जुग हिये-हिये राखल,तइयो हिय जुड़न न गेल.
कत बिदग्ध जन रस अनुमोदइ, अनुभव काहु न पेख .
विद्यापति कह प्राण जुड़ाएत लाखे मिल न एक .

यहाँ पढ़ें – विद्यापति का साहित्य / जीवन परिचय एवं अन्य रचनाएं
 

 

टिप्पणियाँ

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

Rajasthani Lokgeet Lyrics in Hindi राजस्थानी लोकगीत लिरिक्स

बुन्देली गारी गीत लोकगीत लिरिक्स Bundeli Gali Geet Lokgeet Lyrics

Amir Khusrow Dohe Kavita अमीर खुसरो के दोहे गीत कविता पहेलियाँ